मैथिलि विवाह गीत | विदाई गीत | vivah geet
मैथिलि विवाह गीत | विदाई गीत चलली दुल्लरि धीया पिया के नगरिया हे पिया के नगरिया, सुन्न कैली माय के कोर ! || 1 || बिचुकथि मयना सभ दाइ बहिना हे सभ दाइ बहिना, बहल नयन से नोर || 2 || चलल कहरिया छोड़ि के दुअरिया हे छोड़ि के दुअरिया, छूटि गेलै बाप के गाँव || 3 || सासुघर चली देली नैहरा सँ दूर भेली नैहरा सँ दूर भेली बेटीधन दोसरे के नाम || 4 || हेरथि सुनयना चहुदिश अंगना हे चहुदिश अंगना कहू आब कहती के माय, कहू आब कहती के माय || 5 || मोन पड़ै नेनपन रुनझुन पैजन, रुनझुन पैजन सोचि सोचि रहलै कनाय || 6 || रसे रसे रसू धीया पिया घर बसू धीया पिया घर बसू धीया धरू धरू बाप के आशीष || 7 || दूर रहै असगुन सुख सजै चौगुन सुख सजै चौगुन अचल सोहाग तोर शीश || 8 || https://mythoughts4goodlyf.blogspot.com/2020/11/hair-care-baalon-ki-dekhbhal.html मैथिलि विवाह गीत | विदाई गीत | vivah geet मैथिलि विवाह गीत | विदाई गीत | vivah geet मैथिलि विवाह गीत | विदाई गीत | vivah geet मैथिलि विवाह गीत | विदाई गीत | vivah gee...