संदेश

Sohar लेबल वाली पोस्ट दिखाई जा रही हैं

Sohar | Krishn janm sohar | Krishna bhajan | Krishnjanmashtmi geet, Devki ke koikh sa | कृष्णजन्म सोहर | कृष्णजन्माष्टमी गीत

चित्र
    कृष्णजन्म सोहर   कृष्णजन्माष्टमी गीत  Devki ke koikh sa  देवकी के कोखी से जनमल कृष्ण कन्हैया रे - 2 ललना रे विधि के लिखल संजोग यशोदा भेली मैया रे ! - 2 जेहल मे जननी के नोर देवकी के लाल दूर गेल रे -2   ललना रे सोचि के केलथि संतोष नेना के प्राण बचि गेल रे ! -2 पुलकित नन्द के दुआरि जनम लेल बालक रे -2 ललना रे देखू सखी रूप निहारि देखथि मैया अपलक रे ! -2 दीनघर बसन के दान कि संगे अन्न द्रव दान रे -2 ललना रे गोकुला मे नवल विहान बढ़ल नन्द-वंश मान रे ! - 2 सुनू सुनू माय यशोदा जीबहु पूत तोहर रे -2 ललना रे पलना मे डोलथि कन्हैया रचल शिव सोहर रे ! -2   Devki ke koikh sa