Sohar | Krishn janm sohar | Krishna bhajan | Krishnjanmashtmi geet, Devki ke koikh sa | कृष्णजन्म सोहर | कृष्णजन्माष्टमी गीत
कृष्णजन्म सोहर
कृष्णजन्माष्टमी गीत
Devki ke koikh sa
देवकी के कोखी से जनमल कृष्ण कन्हैया रे - 2
ललना रे विधि के लिखल संजोग यशोदा भेली मैया रे ! - 2
जेहल मे जननी के नोर देवकी के लाल दूर गेल रे -2
ललना रे सोचि के केलथि संतोष नेना के प्राण बचि गेल रे ! -2
पुलकित नन्द के दुआरि जनम लेल बालक रे -2
ललना रे देखू सखी रूप निहारि देखथि मैया अपलक रे ! -2
दीनघर बसन के दान कि संगे अन्न द्रव दान रे -2
ललना रे गोकुला मे नवल विहान बढ़ल नन्द-वंश मान रे ! - 2
सुनू सुनू माय यशोदा जीबहु पूत तोहर रे -2
ललना रे पलना मे डोलथि कन्हैया रचल शिव सोहर रे ! -2
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें